जगदीश प्रसाद मण्डल केर 'प्राकृतिस्थ' कथा-संग्रह में बाल-दृष्टि, स्त्री-संवेदना आ जीवन-यथार्थ क समालोचनात्मक अध्ययन

Read full text Summarise with VIRAT
Authors: राम बिधान चन्द्र
Cited by: 0

Summary

No summary yet. VIRAT can read this paper and write a plain-language summary of its aim, methods, key findings and limitations.

Summarise with VIRAT Free to try with your Science Catalogs account.

Abstract

ई शोध-आलेख जगदीश प्रसाद मण्डल केर प्रकृतिस्थ (2024) बाल कथा-संग्रहमे स्त्री-संवेदना आ जीवनगत यथार्थक सूक्ष्म आ सुसंगत विश्लेषण प्रस्तुत करैत अछि। आलेखक मुख्य उद्देश्य ई देखब अछि जे मण्डलजी बाल-साहित्यक माध्यमसँ स्त्री-अनुभूति केँ कोनो नारा, वैचारिक घोषणा वा उपदेश नहि, बल्कि रोजमर्राक जीवन, संबंध, व्यवहार, प्रश्न, संकोच, निर्णय आ उत्तरदायित्वक माध्यमसँ स्वाभाविक रूपेँ कोना प्रस्तुत करैत छथि।प्रकृतिस्थ मे बाल-दृष्टि मात्र शिल्पगत युक्ति नहि अछि, बल्कि समाजकेँ बुझबाक एक नैतिक आ संवेदनात्मक दृष्टिकोण सेहो बनि जाइत अछि। ‘सिर संकोच’ कथामे गामक स्त्री-पात्र सूचना, चिन्ता आ सामाजिक प्रतिक्रिया केर संवाहक बनि स्त्री-संवेदनाकेँ सामूहिक जीवनक व्यवहारमे रूपान्तरित करैत छथि।‘डरक लाज’ कथामे स्त्री-शिक्षाक संग जुड़ल सार्वजनिक भय, आत्म-प्रस्तुति केर कठिनाई आ सामाजिक स्वीकृतिक प्रश्न उघार होइत अछि। ‘तिलवा’ किशोरी मनमे परंपरा, देह-चेतना आ आत्मबोधक स्वाभाविक विकास देखबैत अछि, जखनकि ‘प्रकृतिस्थ’ शीर्षक कथा स्त्रीक बौद्धिक जिज्ञासा आ प्रश्नशील चेतनाक प्रस्तुति करैत अछि। ‘केकरो आशा’ आ ‘चोटाएल प्रेम’ समाज, शिक्षण संस्था आ पारिवारिक संरचनाक दबावसँ जूझैत स्त्री-अनुभवक असुरक्षा, अपेक्षा आ संघर्ष केँ रेखांकित करैत अछि। ‘जिनगीक थाह’ मे भावनात्मक श्रम, प्रतीक्षा आ मौन असहमतिक माध्यमसँ दाम्पत्य जीवनमे स्त्रीक असमान भारक चित्रण होइत अछि।‘पल-पलक मोल’ आ ‘धैर्य’ जकाँ कथासभ मे स्त्री पात्र समय, अनुशासन, संवाद आ निर्णयक संदर्भमे सजग, विचारशील आ नैतिक रूपसँ सक्रिय रूपमे देखाइत छथि। एहि अध्ययनसँ ई निष्कर्ष निकलैत अछि जे ‘प्रकृतिस्थ’ स्त्री-संवेदना आ जीवनगत यथार्थक एहेन प्रस्तुति अछि जाहिमे उपदेशक स्वर गौण अछि आ अनुभवक सच्चाइ प्रधान। ई संग्रह बाल-दृष्टिक माध्यमसँ पाठकक संवेदनशीलता, विवेक आ नैतिक चेतनाक विकास करैत अछि, संगहि मैथिली बाल-साहित्यक आलोचनामे स्त्री-अनुभूतिक अध्ययन लेल एक ठोस आ महत्वपूर्ण आधार प्रस्तुत करैत अछि।

Fields of Study & Subjects

Themes in Literature Analysis Short Stories in Global Literature Literature: history themes analysis

Publication details

Journal / source
Zenodo (CERN European Organization for Nuclear Research)
Publication date
31 January 2026
Language
HI